×

Samadia's video: mother MITHILA s open letter to daughter SIYA @Samadia com

@सिया धीयाक नाम मा मिथिलाक पत्र ।। mother MITHILA's open letter to daughter SIYA ।। @Samadia . com
हे सिया बेटी ! तों आब नैहर नहि अबिहेँ । बेटीकेँ आइ धरि कोनो माए एहन कुबोल नहि कहने हेतै मुदा हम कहि रहल छियौ। तों नैहर नहि अबिहेँ। नहि बाँचल छौक तोहर नैहर आब द'ढ़ । हमर आँचर जकाँ राय-बाती भ' गेलौ तोहर नैहर ।तोहर बाप-पित्ती भाए-बंधु नहि बचा सकलहु तोहर नैहर । तोहर माए अथबल भ' गेल छौ बाउ । झोंट पकड़ि हमरे जाइ जनमल घरसँ घिसियाक' निकालि देलक अछि। हम कोनो बिरधा पिनसीन बला माए नहि ने छियै जे ताहू लोभे हमर परिजरजा करत ! बाउ गै! बड़ इच्छा एक बेर तोहर मुँह देखितहुँ । बड़ इच्छा तोहर पैर हमर देहपर पड़ैत। बड़ इच्छा अछि फेर तों नन्हिटाक भ' जैतेँ। सीतामढ़ीसँ जनकपुर धरि तों गुरकुनियाँ दितेँ। परिकरमा मेलामे तोरा लाए तोरे भजारक कतोक बेर पैजनियाँ किनलहुँ। सैंतक' रखने छी सभ - - - मुदा तों नहि घुरि अबिहेँ बेटी। एबेँ त' कतय खोंछि खोलबेँ, कोन भाएकेर आँगनमे खोंछि खोलबेँ, के तोरा पानि लाए पुछतौ ।बाउ नैहरक अपमान आदि शक्ति शची नहि सहि सकलीह तों कोना सहबेँ ? हमर गोदाने नहि जड़ा देल गेल अछि। आब हमर सारा किछु दिन त' भेटतौक, समयक दौग हमर साराकेँ सेहो मेटा देत। बाउ साँचे तों नहि अबिहेँ। तोहर बियाहक घड़ीक ओ गीत - - कोने वन कुहकै रामा कारी रे कोयलिया कोने वन कुहकै मजूर हे । कोने वन कुहकै रामा बेटीक अम्मा बैसल हिआ हारि हे ।। तोहर सोहमे एखनहुँ गाबि लैत छी मुदा तोहर भाए सभ बताहि बुझैत अछि। बुढ़िया सनैक गेल अछि। हँ बाउ हम सनैक गेल छी। मुदा तों मोन छोट नहि करिहैँ ।हमर चिंता नहि करिहेँ। हमर की, हम त' लहास छी । सीथे कोइखे जुड़ायल रह।। तोहर अभगली माए मि थि ला ◼️◼️◼️◼️ समदिया सिया धीयाक नाम मा मिथिलाक पत्र ।। Siya Dhiyak Naam Mithilak Patra पार्श्व स्वर- Ruchi Rani आलेख- Maithil Prashant संपादन- Pankaj संकलन- J. N. Jogi विशेष आभार- Baiju Jha ■ SUBSCRIBE NOW on YOUTUBE https://www.youtube.com/channel/UCdq2JaF959i6O_1v4pc0l3A ■ LIKE NOW on FACEBOOK https://www.facebook.com/samadiaCom ■ FOLLOW NOW on TWITTER https://twitter.com/SamadiaCom ■ FOR feedback & any query EMAIL samadia.com18@gmail.com CALL/WHATSAPP +91 9955409004 ■ C & P All Copyright Reserved with SAMADIA.com  ■ नोट- जऽ अहूं लऽग हो कोनो सूचनात्मक, मनोरंजनात्मक ओ ज्ञानवर्धक मौलिक आॅडियो/वीडियो जकरा अहां देश-दुनियाक संग साझा करए चाहै छी तऽ समदिया.com बनि सकैए अहां लेल प्लेटफार्म. पठाउ हमरा अपन क्लिप. विस्तृत जानकारी लेल संपर्क करी

28

9
Samadia
Subscribers
9.6K
Total Post
683
Total Views
40.6K
Avg. Views
456.5
View Profile
This video was published on 2022-01-25 13:23:36 GMT by @Samadia-.-com on Youtube. Samadia has total 9.6K subscribers on Youtube and has a total of 683 video.This video has received 28 Likes which are higher than the average likes that Samadia gets . @Samadia-.-com receives an average views of 456.5 per video on Youtube.This video has received 9 comments which are higher than the average comments that Samadia gets . Overall the views for this video was lower than the average for the profile.Samadia #openLetter #Siya #ToSiyaFromMithila #MaithilPrashant #Janakpur #Mithila #Janaki #Janki #Madhes #Madhesh #MadheshVSMithila #MadhesNepal #MithilaNepal #Maithili has been used frequently in this Post.

Other post by @Samadia . com